Thursday, December 26, 2013

सूचनाक हक (मैथिली)





सूचनाक हक किएक ?

सरकारी कर्मचारीक तनखा आ सरकारी कार्यालयक खर्च आहाँद्वारा चुकाओल गेल करसँ चलैत अछि ।
 बजारसँ कोनो समान किनैतकाल आ सेवा प्राप्त करैतकाल आहाँकेँ सरकारकेँ कर चुकबऽ पडैत अछि ।
अपनाद्वारा चुकाओल गेल कर कुन काजमे, कत्तऽ आ कोना खर्च होइत छैक से जनबाक आहाँक अधिकार अछि ।



एहि कारण कि
लोकतन्त्रमे जनता मालिक होइत अछि । सरकारक काज अछि, जनताक सेवा करब । सरकार अपन काज कोना करैत अछि, ई आहाँकेँ बुझहि पडत । सूचनाक हक (अधिकार) जनताकेँ सरकारसँ हरहिसाव आ काजक बारेमे सूचना मगबाक आ जानकारी पेबाक अधिकार दैत अछि आ सूचना पेबाक उपाय सेहो सिखबैत अछि । नेपालमे सूचनाक हकसम्बन्धी ऐन, २०६४ सालक भादव महिनासँ लागू भऽ चुकल अछि ।


सूूचनाक हक किएक ?
सूचनाक हकसम्बन्धी  ऐन, २०६४ आहाँकेँ कोनो सार्वजनिक निकायसँ होबऽबला काम(काज)कारवाहीक सूचना मगबाक आ मागल सूचना पेबाक अधिकार प्रदान केने अछि ।
निचा कहल गेल कार्यालय सार्वजनिक निकायअन्तर्गत पडैत अछि ः
१) संविधानअन्तर्गतक निकाय,
२) ऐनद्वारा स्थापित निकाय,
३) नेपाल सरकारद्वारा गठित निकाय
४) कानूनद्वारा स्थापित सार्वजनिक सेवाप्रदायक संगठित संस्था वा प्रतिष्ठान,
५) प्रचलित कानूनमोताबिक दर्ता भेल राजनीतिक दल तथा संगठन,
६) नेपाल सरकारक पूर्ण वा आंशिक स्वामित्व वा नियन्त्रणमे रहल वा अनुदानसँ संचालित नेपाल सरकारक अनुदानप्राप्त संगठित संस्था,
७) नेपाल सरकार वा कानूनद्वारा स्थापित निकाय कोनो सम्झौता कऽ गठन भेल संगठित संस्था
८) नेपाल सरकारद्वारा नेपाल राजपत्रमे सूचना प्रकाशित कऽ सार्वजनिक निकाय कहि तोकल गेल अन्य निकाय वा संस्था ।
सूचना अधिकारीकेँ अपन कार्यालयमे रहल सूचना नागरिकद्वारा मगल गेल समयमे देखेबाक चाही, देबाक चाही । जँ मागल गेल सूचना नहि देल जा सकैत अछि तँ किएक नहि देल जा सकैत अछि ताहि बातक उचित आ स्पष्ट कारणसहित जानकारी देल जेबाक चाही ।

सूचना मगबाक तरिका
सूचना माग केनिहार व्यक्तिद्वारा सम्बन्धित सूचना अधिकारीकेँ निवेदन लिखि कऽ देबऽ पडैत छैक । जँ कोनो व्यक्ति शारिरीक अशक्तताक कारण  वा  निरक्षर होबाककारणेँ  निवेदन नहि लिखि सकैत अछि तँ ओहन व्यक्तिक बात सुनि सूचना अधिकारीद्वारा निवेदन लिखबाक व्यवस्था कएल जाएत ।
निवेदन लिखबाकाल कोन सूचना मागल गेल अछि से बात महत्वपूर्ण होइत अछि । जँ प्रश्न स्पष्ट नहि हएत तँ जवाबो स्पष्ट नहि प्राप्त हएत । तएँ अपन प्रश्न जते भऽ सकए ओते स्पष्ट करबाक चाही ।
विभिन्न विषय आ समस्याक सम्बन्धमे पुछल जाएबला प्रश्न फरक भऽ सकैत अछि । सुझावक रुपमे एकटा नमुना एतऽ देल गेल अछि । एकरा आधार मानि कऽ अपने तरिकासँ प्रश्न बना सकैत छी । सूचनाक हकक बारेमे नागरिककेँ सहयोग करऽबला कोनो स्थानीय संस्था लगपासमे अछि तँ आहाँ सूचना मगबाक काजमे ओकर सहयोग प्राप्त कऽ सकैत छी ।
 ड्ड दश पृष्ठधरिक सूचना निःशुल्क उपलब्ध होइत अछि ।
ड्ड आब नेपाली नागरिककेँ सरकारी निकायसँ मात्र नहि भऽ कोनो सार्वजनिक निकायसँ सार्वजनिक सरोकारक सूचनाक सँगहि अपन सरोकारक सूचना मगबाक अधिकार छैक । सूचनाक अभिलेखसबहक परीक्षण कएल जा सकैत अछि, नक्कल लेल जा सकैत अछि ।
ड्ड आब कोनो सरकारी आ सार्वजनिक निकायक काज गोप्य नहि होइत अछि । खुलापन सामान्य आ गोपनियता अपवाद होइत अछि ।
ड्ड सूचना प्रदान करबाक लेल प्रत्येक सार्वजनिक निकायमे सूचना अधिकारीक व्यवस्था कएल गेल रहैत अछि ।



सूचना माग करबाक निवेदनक नमुना
कोनो सार्वजनिक निकायमे जँ आहाँ कोनो विषयमे निवेदन देने छियैक आ ओहिपर सुनवाइ होबामे विलम्ब भेल अछि तँ आहाँ सम्बन्धित कार्यालयक सूचना अधिकारीकेँ सम्बोधन कऽ एहिप्रकारेँ निवेदन लिखि सूचना मागि सकैत छी ः
श्री सूचना अधिकारी,
(कार्यालय, विभाग, निकायक नाम आ पता)
    विषय ःसूचनाक हकसम्बन्धी ऐन, २०६४ अन्तर्गत सूचनाक माग ।
      हम दिनांक.................मे एहि कार्यालयमे ...............विषय÷काजक सम्बन्धमे निवेदन देने रही । हमर ओहि निवेदनउपर एखनिधरि सन्तोषजनक कारवाही आगाँ नहि बढिसकल अछि । अतः कृपया हमरा निम्नलिखित सूचना उपलब्ध कराओल जाए से अनुरोध करैत ई निवेदन प्रस्तुत करैत छी ।
१) हमर निवेदनउपर एखनिधरि कि कि कारवाही भेल ? आ कोन तिथिमे कएल गेल ?
२) हमर निवेदन कोन कर्मचारी वा पदाधिकारीलग पहुँचल ? कोन पदाधिकारीक जिम्मामे कतेक दिनधरि हमर निवेदन रहल ? सम्बन्धित पदाधिकारी हमर निवेदनपर कि कारवाही केलनि ? ओहिसभ पदाधिकारीक नाम, पद आ फोन नम्बरक जानकारी भेटए ।
३) आहाँक कार्यालय, विभाग, निकायक नियम, निर्देशिका वा नागरिक वडापत्रमोताबिक हमर निवेदनपर कतेक समयक भितर कारवाही सम्पन्न होबाक चाही ? ओहन नियम, निर्देशिकाक नक्कलक प्रति उपलब्ध कराओल जाए
४) ओहन नियम निर्देशिकाक पालन नहि केनिहार पदाधिकारीपर अपन पदीय दायित्व पूरा नहि कएल गेलापर कारवाही होबाक कोनो व्यवस्था अछि कि नहि ? हमर निवेदनक सम्बन्धमे नियम, निर्देशिकाक उल्लंघन भेल अछि कि नहि ? जँ भेल अछि तँ कोन नियम निर्देशिकामोताबिक सम्बन्धित अधिकारीकेँ केहन कारवाही हएत ? ओ नियमक प्रति उपलब्ध कराओल जाए ।
५) सम्बन्धित पदाधिकारीद्वारा दायित्व पूरा नहि कएल जेबाक कारणे हम शारिरीक आ मानसिक पीडा सहबालेल बाध्य भेलहुँ अछि । एहि पीडाक लेल सम्बन्धित पदाधिकारी जिम्मेबार छथि कि नहि आ जँ छथि तँ हुनका एहिलेल केहन दण्ड सजाय कएल जाएत ? नियम निर्देशिकामे एहिसम्बन्धमे केहन व्यवस्था कएल गेल अछि ? ओहन कानूूनक बारेमे जानकारी देल जाए ।
६) हमर निवेदनउपर कहियाधरि कारवाही हएत आ हमर माग÷समस्या  कहियाधरि पूरा÷समाधान हएत ?
उपर उल्लेख कएल गेल सूचना देल जाए ।
भवदीय÷निवेदक
निवेदकक सही ः
निवेदकक नाम ः
पता ः
फोन न.ः
तिथि ः

ड्ड अवलोकन दस्तुर ः निकायक कार्यालय या कार्यस्थलमे सूचना, अभिलेख, लिखत, निरीक्षण, अवलोकन करबाकाल पहिल आधा घण्टाक लेल कोनो शुल्क नहि लागत । तकरबाद प्रतिघण्टा प्रतिव्यक्ति पचास रुपैया लागत ।
ड्ड  सार्वजनिक पुस्तकालय आ सार्वजनिक रुपमे निःशुल्क उपलब्ध कराओल जेबाक व्यवस्था रहल स्थानमे अवलोकन दस्तुर नहि लागत ।


सूचना अधिकारीक व्यवस्था
ड्ड कोनो सार्वजनिक निकायद्वारा अपन निकायसँ सम्बन्धित सूचनामे नागरिकक सहज पहुँच कायम करबालेल आ मागल गेल सूचना उपलब्ध करेबालेल सूचना अधिकारीक व्यवस्था कएल जेबाक चाही ।
ड्ड अपन निकायमे रहल सूचना प्रवाहित करबालेल सूचना अधिकारी मुख्य व्यक्तिक रुपमे काज करैत छथि । सूचना अधिकारीकेँ अपना निकायसँ सम्बन्धित सूचनाक जानकारी होबाक चाही । ओ एकदिसि अपन निकायक सब सूचना संकलन कऽ व्यवस्थितपूर्वक रखैत छथि आ दोसरदिसि सूचना मागकर्ताकेँ सूचना उपलबध करबैत छथि ।
ड्ड कोनो सार्वजनिक निकायद्वारा सूचना अधिकारीक नाम आ सम्पर्क पता, फोन नम्बर आम नागरिककेँ सहजहिँ जानकारी भऽसकए ताहिमोताबिक सार्वजनिक कएल जेबाक चाही । ओहि सूचना अधिकारीसँ आहाँ सार्वजनिक निकायसँ होबऽबला वा सम्पन्न भेल सार्वजनिक महत्वक काज, तत्सम्बन्धी कारवाही वा निर्णयसँ सम्बन्धित लिखत, सामग्री वा जानकारी मागि सकैत छी ।
सार्वजनिक महत्व कहलासँ बहुतगोटेक सरोकारक विषय जेना रस्ता, धारा, पुल, पैनी, स्कूल, अस्पतालसन विषयमे कएल गेल निर्णयसँ लऽ कऽ योजना निर्माण आ कार्यान्वयनधरिक सब विषय बुझल जाइत अछि ।
सूचनाक अर्थ सार्वजनिक निकायँ सम्पादन होबऽबला वा भेल सार्वजनिक महत्वक काज, तत्सम्बन्धी कारवाही वा निर्णयसँ सम्बन्धित कोनो लिखत, सामग्री या जानकारी होइत अछि ।
लिखत कहलासँ लिपिबद्ध कोनो तरहक लिखतकेँ बुझल जेबाक चाही ।
लिखतक आशय अछि, अभिलेख ९च्भअयअमक, म्यअगmभलतक, ःझयक० इमेल, विचार, राय सल्लाह, प्रेस विज्ञप्ति, परिपत्र ९ऋष्चअगबिचक०, आदेश, लगबुक, करार ९ऋयलतचबअतक०, रिपोर्ट, मिसिल ९एबउभचक० वस्तुुक नमुना ९क्बmउबभिक, ःयमभकि०, इलेब्ट्रोनिक आ डिजिटल रुपमे राखल गेल तथ्यांक ९मबतब० तथा प्रचलित कोनो कानूूनअन्तर्गत सार्वजनिक निकायसँ प्राप्त कएल जा सकऽबला कोनो रुपमे रहल जानकारीक सामग्रीसब ।




सूचनाक अद्यावधिक
सरकारी कार्यालय वा अन्य सार्वजनिक निकायक सूचना अधिकारीद्वारा अपन निकायसँ सम्बन्धित निचा उल्लेख कएल गेल सूचना सूचिकृत कऽ कऽ राखल जेबाक चाही आ नियमितरुपेँ प्रकाशित करबाक चाही ।
क) निकायक रुवरुप आ प्रकृति
ख) निकायक काज, कर्तव्य आ अधिकार
ग) निकायक कर्मचारी संख्या आ कार्य विवरण
घ) निकायद्वारा प्रदान कएल जाएबला सेवा
ङ) सेवा प्राप्त कएल जाएबला निकायक शाखा आ जिम्ेमबार अधिकारी
च) सेवा प्राप्त करबालेल लागऽबला दस्तुर आ अवधि
छ) निर्णय करबाक प्रक्रिया आ अधिकारी
ज) निर्णयउपर उजुरी सुनऽबला अधिकारी
झ) सम्पादन कएल गेल काजक विवरण
ञ) सूचना अधिकारी आ प्रमुखक नाम आ पद
ट) ऐन, नियम, विनियम वा निर्देशिकाक सूची
ठ) आमदानी, खर्च तथा आर्थिक कारेवारसम्बन्धी अद्यावधिक विवरण
ड) अगिलुका आर्थिक वर्षमे सार्वजनिक निकायद्वारा कोनो कार्यक्रम वा आयोजना संचालन भेल होइक तँ तकर विवरण
ढ) सार्वजनिक निकायक वेभसाइट जँ होइक तँ ओकर विवरण
ण) सार्वजनिक निकायकेँ प्राप्त भेल वैदेशिक सहायता ऋण, अनुदान एवं प्राविधिक सहयोग आ सम्झौतासम्बन्धी विवरण
त) सार्वजनिक निकायद्वारा संचालित कार्यक्रम आ तकर प्रगति प्रतिवेदन
थ)सार्वजनिक निकायद्वारा वर्गीकरण तथा संरक्षण कएल गेल सूचनाक नामावली आ ओहन सूचना संरक्षणक लेल निश्चित कएल गेल समयावधि
द) सार्वजनिक निकायमे पडल सूचना मागसम्बन्धी निवेदन आ ताहिउपर सूचना देल गेल विषय
ध) सार्वजनिक निकायक सूचनासब अन्यत्र प्रकाशन भेल होइक या होबऽबला होइक तँ तकर विवरण
न) तोकलमोताबिकक अन्य विवरण
ड्ड सूचना अधिकारीद्वारा नियमितरुपेँ अपन कार्यालयसँ सम्पादित कार्य विवरण, आम्दानी, खर्च तथा आर्थिक कारेवारक अद्यावधिक विवरण, ऐन, नियम, विनियम वा निर्देशिकाक सूची आदि सूचिकृत कऽ राखल जेबाक चाही आ माग कएल गेल अवस्थामे उपलब्ध करेबाक चाही ।
ड्ड उल्लेखित विषयक सूचना मौखिक रुपमे सेहो मागल जा सकैत अछि । उपर उल्ल्ेखित प्रकृतिक सूचना सम्बन्धित कार्यालयक सूचना अधिकारीद्वारा तीन तीन महिनामे अद्यावधिक कऽ सार्वजनिक कएल जेबाक चाही । अतः एहन सूचना चोट्टहि उपलब्ध होइत अछि ।
ड्ड सार्वजनिक निकाय सम्भव रहल अवस्थाधरि सूचनाक हकसम्बन्धी ऐन लागू होबऽसँ बीस वर्ष पहिलेधरिक अपन निकायसँ सम्बन्धित सूचना अद्यावधिक कऽ कऽ रखने रहैत अछि । ओते पुरान अवधिधरिक सूचना नागरिक प्राप्त कऽ सकैत अछि ।


ड्ड याद करु, सूचना मगबालेल निवेदन देबाकाल कोनो दस्तुर नहि लगैत अछि । दश पृष्ठधरिक सूचना निःशुल्क भेटैत छैक ।
ड्ड आहाँ, उचित शुल्क दऽ कऽ कोनो सार्वजनिक निर्माण कार्यक लिखत फाइल देखि सकैत छी । निर्माण कार्यक निरीक्षण कऽसकैत छी । सार्वजनिक महत्वक कोनो काज, कागजपत्र (डकुमेन्ट), अभिलेख (रेकर्ड), देखि या जाँचि ९ क्ष्लकउभअत० सकैत छी । डकुमेन्ट वा रेकर्डक टिपोट लेब, उद्धृत अंश ९भ्हतचबअतक० लेब÷उद्धृत करब, प्रमाणित प्रतिलिपि प्राप्त करब आहाँक अधिकार अछि । कोनो वस्तु÷सामान ९ःबतभचष्बकि० क प्रमाणित नमुना सेहो लऽसकैत छी । मुद्रित, डिस्केट, पेनड्राइभ, टेप, भिडियो क्यासेट वा कोनो इलेक्ट्रोनिक रुपमे वा मुद्रणमार्फत सूचना प्राप्त कऽ सकैत छी ।
ड्ड सूचना प्राप्त करबालेल निवेदन देलाक बाद सूचना अधिकारीसँ निवेदन स्वीकार करबाक रसीद या निस्सा आहाँ जरुर प्राप्त करु ।
ड्ड सूचना प्रदान करबामे कते मूल्य लागत से जानकारी सूचना अधिकारीद्वारा देल जेबाक चाही । सूचना प्राप्त करबाक दस्तुर जँ आहाँकेँ वास्तविक मूल्यसँ बेसीजकाँ बुझाएत तँ आहाँ सम्बन्धित निकायक प्रमुख या राष्ट्रिय सूचना आयोगसमक्ष उजुरी कऽ वास्तविक मूल्यक बारेमे जानकारी प्राप्त कऽ सकैत छी ।
ड्ड निवेदन प्राप्त भेलाक बाद तत्काल उपलब्ध कराओल जाए सकऽबला सूचना अछि तँ सूचना अधिकारीद्वारा तत्काल उपलब्ध करेबाक चाही आ तत्काल उपलब्ध नहि कराओल जाए सकऽबला अछि तँ निवेदन प्राप्त भेलाक पन्द्रह दिनक भितर निवेदककेँ आवश्यक सूचना उपलब्ध करेबाक चाही । जँ तत्काल सूचना नहि देल जा सकैत अछि तँ सूचना अधिकारीद्वारा तकर कारणसहितक जानकारी निवेदककेँ देल जाएत ।
ड्ड कोनो व्यक्तिक जान—प्राणक सुरक्षासँ सम्बन्धित कोनो सूचना मागल गेल अवस्थामे सूचना अधिकारीद्वारा सूचना माग कएल गेलाक चौबीस घण्टाभितर उपलब्ध कराओल जेबाक चाही ।
 ड्ड निवेदकद्वारा जाहि स्वरुपमे सूचना माग कएल गेल अछि सूचना अधिकारीकेँ चाही जे सम्भव भेल अवस्थाधरि उएह स्वरुपमे सूचना उपलब्ध कराओल जाए । मुदा, निवेदकद्वारा माग कएल गेल स्वरुपमे सूचना उपलब्ध करबैतकाल सूचनाक स्रोतमे क्षति पहुँचबाक, खराब होबाक, नष्ट होबाक सम्भावना होइक तँ सूचना अधिकारीद्वारा तकर कारण उल्लेख कऽ उपयुक्त स्वरुपमे सूचना उपलब्ध कराओल जा सकैत अछि ।
ड्ड सूचना प्राप्त करबालेल देल गेल निवेदन परीक्षण करैतकाल सूचना अधिकारीकेँ जँ ई बुझाइक जे निवेदकद्वारा माग कएल गेल सूचना ओकर अपना निकायसँ सम्बन्धित नहि छैक तँ ताहि बातक जानकारी निवेदककेँ तत्काल देबाक चाही ।


सूचना दस्तुर
सूचना प्राप्त करैतकाल ः
ए फोर साइजक फोटोकपि कागजमे पहिल दश पृष्ठ निःशुल्क, तकरबादक प्रति पृष्ठ पाँच रुपैया । ए फोरसँ पैघ आकारक कागजमे प्रति पृष्ठ दश रुपैया । सिडि, डिस्केट या अन्य विद्युतीय माध्यममे सूचना ली तँ पचास रुपैया ।
एहन सूचना नहिओ प्राप्त भऽ सकैत अछि
नेपालक सार्वभौमसत्ता, अखण्डता, राष्ट्रिय सुरक्षा, सार्वजनिक शान्ति सुव्यवस्था या अन्तर्राष्ट्रिय सम्बन्धमे गम्भीर खलल ( प्रभाव) पडऽबला, अपराधक अनुसन्धान, तहकिकात तथा अभियोजनमे प्रत्यक्ष असर पडऽबला, आर्थिक, व्यापारिक तथा मौद्रिक हित वा वौद्धिक सम्पत्तिक संरक्षण वा बैंकिग वा व्यापारिक गोपनियतामे गम्भीर आघात पडऽबला, विभिन्न जातजाति वा सम्प्रदायबीचक सुुसम्बन्धमे प्रत्यक्ष रुपमे खलल पहुँचाबऽबला, व्यक्तिगत गोपनियता आ व्यक्तिक शरीर, प्राण, सम्पत्ति, स्वास्थ्य वा सुरक्षामे खतरा पहुँचाबऽबला ।
मुदा ओना कऽ सूचना प्रवाह नहि करबाक उचित आ पर्याप्त कारण रहल अवस्थाकेँ छोडि ओहन सूचना प्रवाह करबाक दायित्वसँ सार्वजनिक निकाय अलग नहि भऽ सकैत अछि ।
सूचना नहि देल गेलापर कि कएल जाए ?
आहाँक निवेदन स्वीकार नहि कएल गेल, मागल गेल सूचना नहि देल गेल, निश्चितसँ बेसी शुल्क मागल गेल, आहाँक निवेदनक कोनो उत्तर नहि देल गेल, उचित कारणबिना सूचना देबासँ इन्कार कएल गेल, झूठ, भ्रामक वा आधा सूचना देल गेल वा जे सूचना मागल गेल अछि ओहन सूचनासँ सम्बन्धित फाइल वा कागजात नष्ट कएल गेल ता कि करबै ?

ओहन अवस्थामे आहाँ उएह निकायक प्रमुखसमक्ष सात दिनक भितर उजुर कऽ सकैत छी । ओहन उजुरी प्राप्त भेलाक सात दिनक भितर प्रमुखद्वारा सूचना देबाक या नहि देबाक जानकारी देल जाएत, ओ देताह÷देतीह । ओकर सात दिनक भितर सूचना अधिकारीसँ आहाँकेँ मागल गेल सूचना प्राप्त हएत ।
ड्ड सार्वजनिक निकायक अभिलेखमे एहि ऐनमोताबिक प्रवाह कएल जाए सकऽबला आ नहि कएल जाए सकऽबला सूचना जँ अछि तँ सूचना अधिकारीकेँ चाहियैन जे प्रवाह कऽ सकऽबला सूचनाकेँ अलग कऽ निवेदककेँ उपलबध कराबथि ।
ड्ड अपन कार्यालयमे रहल सूचनासब, नागरिकद्वारा मागल गेल अवस्थामे सूचना अधिकारीद्वारा देखाओल जेबाक चाही । देबाक चाही । जँ मागल गेल सूचना नहि देल जा सकैत अछि तँ किएक नहि देल जा सकैत अछि तकर उचित आ स्पष्ट कारणसहित जानकारी देबाक कर्तव्य सूचना अधिकारीक अछि ।


मोन नहि मानए तँ

जँ प्रमुखक निर्णयपर सेहो आहाँ सन्तुष्ट नहि भेल होइक या सात दिनक भितर आहाँकेँ सूचना प्रप्त नहि भऽ सकल हुअए तँ समय पूरा भेलाक पन्द्रह दिनक भितर राष्ट्रिय सूचना आयोगसमक्ष पुनरावेदन कएल जा सकैत अछि । आयोग अपनासमक्ष पडल पुनरावेदन प्राप्त भेलाक साठि दिनक भितर आ उजुरी वा निवेदनक सम्बन्धमे नियमावलीमे अन्यथा उल्ल्ेख नहि भेलाक अलावा पैंतालीस दिनक भितर आवश्यक कारवाही कऽ अन्तिम निर्णय करैत अछि ।
सार्वजनिक निकायक प्रमुख वा सूचना अधिकारी मनासिब कारणबिना सूचना नहि देने हुअए वा देबाक लेल इन्कार केने हुअए, आंशिक रुपमे वा गलत सूचना देने हुअए वा सूचना नष्ट कएल देखल गेल अवस्थामे आयोग ओहन प्रमुख वा सूचना अधिकारीकेँ एक हजारसँ पच्चीस हजार रुपैयाधरि जरिवाना कऽ विभागीय कारवाही भऽसकऽबला पदपर आसिन रहए तँ विभागीय सजायक लेल सम्बन्धित निकायमे लिखि कऽ पठा सकैत अछि ।
सार्वजनिक निकायक प्रमुख वा सूचना अधिकारी समयमे देब आवश्यक रहल सूचना बिनाकारणे समयपर जँ नहि उपलब्ध करेने होथि तँ ओते दिनक प्रति दिन दू सओ रुपैयाक हिसावसँ हुनका जरिवाना कएल जाएत । कोनो व्यक्ति जाहि प्रयोजन आ उद्देश्यसँ सार्वजनिक निकायसँ सूचना प्राप्त केने अछि उएह प्रयोजनमे प्रयोग नहि कऽ दुरुपयोग कएल प्रमाणित भेल अवस्थामे आयोग सूचनाक दुरुपयोगक गम्भीरताकेँ देखि ओहन व्यक्तिकेँ पाँच हजारसँ पच्चीस हजार रुपैयाधरि जरिवाना कऽ सकैत अछि ।
ड्ड आयोगमे पुनरवेदन करबालेल स्वयं उपस्थित भऽ वा सम्बन्धित कार्यालय वा जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे दर्ता करा कऽ वा कोनो हुलाकमार्फत सोझे पठाओल जा सकैत अछि ।
.....................


No comments:

Post a Comment